झलक मिथिला : परिचय


हावडा-कोलकाता सं प्रकाशित हिंदी दैनिक समाचार पत्र सप्ताह मे एकदिन (Monday) कs पृष्ठ - ५ पर आधा पृष्ठ मैथिली समाद आ साहित्यिक रचना रूपेश कुमार झा 'त्योंथ' केर सम्पादन मे 'झलक मिथिला' स्तम्भ नामे ३१ मइ, २०१० सं २७ सितम्बर, २०१० धरि प्रकाशित कयलक. ओना बेस आशा सं शुरू भेल ई स्तम्भ बेसी दिन नहि चलल आ ने पूर्व नियोजित योजना कें मूर्त रूप भेटि सकल तथापि मैथिली केर प्रचार-प्रसार सं जुडल इहो एक डेग त' अछिए. एतय ई-पाठक लेल अवलोकनार्थ जनतब राखल गेल अछि. दैनिक झलक द्वारा मैथिली साप्ताहिक टेबलायड निकालबा पर विचार भ' रहल छल जे संभव नहि भ' सकल. जे हो मैथिलीक सेवा मे एक दूभि त' अछिए झलक मिथिला.